मैथिल-पूत अभिनेता नरेन्द्र झा केँ बेर-बेर स्मरण करैत रहल #मैथिली_लिटरेचर_फेस्टिवल_2018

  • प्रकाशित मितिः चैत्र 7, 2074
  • मधेश स्पेशल
  • 103 पटक पढिएको


कैलाश कुमार मिश्र

अंतरराष्ट्रीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल 2018 केर प्रारम्भ किछु एहेन लोक जे हमरा सबकेँ छोड़ि सदाक हेतु एहि धरा सँ ऊपर उठि गेलनि केर संस्मरण आ हुनक श्रधांजलि सँ भेल। 16 मार्च 2018 क कएल गेल एहि कार्यक्रमक नाम छ्ल #मोन_पड़ैत_छथि। जे सब हमरालोकनिक बीच नहि रहला ताहि मे हेतुकर झा, नरेंद्र कुमार झा, गिरीश चन्द्र झा, चंद्रभानु सिंह, भाग्य नारायण झा सेहो छलाह। हमरा नरेंद्र झा पर बजबाक हेतु कहल गेल।
नरेन्द्र कुमार झा मधुबनी जिलाक कोइलख गामक छलाह। लगभग 50 धारावाहिक मे, अनेक हिंदी, किछु तेलुगु एवं अन्य फ़िल्म मे अपन अद्भुत अभिनय क्षमता सँ तीव्रगति सँ यशभागी भ' रहल छलाह। 1964 ईसवी मे हिनक जन्म भेलनि यद्यपि किछु लोकक मानब छनि जे हिनक जन्म 1962 मे भेलनि। हिनका गाम मे लोक कन्हैया नाम सँ जनैत छनि।
जखन ई निर्णय भेलैक जे लिटरेचर फेस्टिवल 2018 केर आयोजन दिल्ली मे कएल जायत आ सांस्कृतिक कार्यक्रम मे #परम्परागत_मैथिली_बिलाई_चालि (कैटवॉक) केँ एक नूतन प्रयोगक रूप मे प्रदर्शित कएल जाएत त Nirraj Pathak ई सोचलनि जे एहि मे भैया (नरेन्द्र झा) केँ निमन्त्रित करताह। तदनुसार नीरज हुनका सूचना सेहो देलथिन। ओ तैयार भ' गेलाह। जखन 14 मार्चक भोर मे नीरज हुनका फोन केल्थिन त' बज्रपात खसि पड़ल छ्ल। पता लगलनि जे भैया राति मे हृदयगति एकाएक थमि गेलाह सँ प्राण त्यागि देलनि। हुनक नश्वर काया अनश्वर प्रकृति मे विलीन होम जा रहल छनि। क्षणमात्र मे नरेंद्र जी वर्तमान सँ भूत बनि गेलाह। सब किछु समाप्त भ' गेल छल।
मृत्यु जीवनक अंतिम यथार्थ अछि। सब जनैत छी। मृत्युक एक प्रजातंत्र छैक। जे जन्म लेलक अछि से मरबै करत। ई अटूट सत्य अछि। छोट-पैघ, राजा-रंक, स्त्री-पुरुख, सब प्राणी, जीव-जंतु सब केँ मारबाक छैक:
"आया है सो जाएगा राजा रंक फ़कीर।"
तांहि मृत्यु केँ स्वीकार करक चाही। लेकिन अगर मृत्यु समय सँ पहिने भ' गेल त सबकिछु अनर्थ भ' जाइत छैक। नरेंद्र चरित्र अभिनय मे एक पैघ स्तंभ भेल जा रहल छलाह। हमरा सबकेँ आशा छ्ल जे ओ संजीव कुमार अथवा प्राणक कद केँ छू लेताह। लीड रोल मे सेहो आबि रहल छलाह।

कहैत चली जे कलाक कोनो भाषा नहि होइत अछि। कलाकारक अभिनय आ कलाक सम्प्रेषण भाषाक भीत केँ तोड़ि दैत अछि। नरेंद्र जीक भाषा एहि गुणे वैश्विक भ' गेल छलनि। ओ सुन्दर, सहज, हँसैत, निश्छल आ माटि-पानिक लोक छलाह। मैथिली भाषाक फ़िल्म मे सेहो अभिनय करबाक योजना बना रहल छलाह। लगैत छ्ल मिथिले की बल्कि समस्त बिहार सँ शत्रुघ्न सिन्हा'क बाद एक सफल कलाकार अपन अभिनय केर झण्डा फहराएत। मुदा ई की? कनिक छाती मे दर्द, कनि मन मे घबराहट, कनि असहजता। लोक हॉस्पिटल ल' गेलनि। हॉस्पिटल सँ पहिने प्राण पखेरू उड़ि गेल छ्ल। हुनक अभिनयक देह माटिक मूरत बनि गेल छल। चिकित्सक मृत घोषित क' देलकन्हि।

बात मृत्युक प्रजातंत्रक करैत रही। ई केहेन प्रजातंत्र? भरल दोपहरिया मे अन्हार भ' गेल। मिथिलाक सुंदरतम फूल कोढ़ी मे मौला गेल। नरेन्द्र हँसैत अनन्त यात्रा मे चलि गेलाह आ सबहक आँखि मे नोर देने गेलाह।

खैर! अहू मे प्रजातंत्र त' अछिये। कतेक विद्वान, संत, राजा, कलाकार, देशभक्त उमेरि सँ पहिने एहि प्रजातान्त्रिक परम्परा केँ शाश्वत प्रमाणित करैत रहलनि अछि। शंकराचार्य, स्वामी विवेकानंद एवं अनेक लोक बहुत अल्प आयु मे महाप्रयाण हेतु विदा भेलाह। तांहि हुनकर सभक आकलन हुनक काज सँ करक चाही नहि की उमेरि सँ।

अपन अभिनय क्षमता केँ कारणे नरेंद्र झा हमेशा सभक मानसपटल पर जिबैत रहता।

सिनेमाक समीक्षा बला कार्यक्रमक आयोजन 17 मार्च 2018 क भेल जकर शीर्षक छ्ल - #मैथिली_फ़िल्म_प्रदर्शन_एवं_विमर्श । एहि कार्यक्रम केँ हुनके नाम सँ समर्पित कएल गेल। कलाकार आ फ़िल्म मेकर सागर झा हुनका स्मरण केलाह।

अंत मे 18 मार्च 2018 केँ साँझ मे एकबेर हुनका पुनः स्मरण कएल गेल। अनन्त मोमबत्ती जड़ा एवं हुनक छवि पर पुष्पमाला सँ हुनका श्रधांजलि देल गेलनि। हुनका पर लघु वक्तव्य सेहो देल गेलनि।
स्वर्गीय नरेन्द्र झा'क श्वेत-श्याम स्केच श्री Vikas Jha बनेलनि जे बहुत भव्य लागि रहल छल।
अन्त मे सबहक दिस सँ आ अपनो दिस सँ हम नरेन्द्र झा केँ श्रधांजलि अर्पित करैत छी।

प्रतिक्रिया दिनुहोस

सम्बन्धित शीर्षकहरु

सम्पूर्ण समाचार

सिरहाकी एक किशोरीले पंखामा झुन्डिएर आत्महत्या गरिन

राजेन्द्र महतो लहान ।सिरहाको गोलबजार न-पा-४चौहर्बा का एक १९बर्शिय किशोरी ले सोमबार दिउसो सल को पासो लगा

भत्किएको वाल निर्माण यर्थास्रिघ निर्माण गर्न ठेकेदारलाई पत्र

 राेयाण्टर  मण्डल  सिरहा / सुखीपुर नगरपालिका – २ छजना स्थित नवनिर्मित पोखरी वाल १० महिना नबित्दै भत्

सुखीपुर नगरपालिकाको गाडीको ठक्करले साईकल यात्री घाईते

रोयाण्टर मण्डल सिरहा / सुखीपुर नगरपालिकाको गाडीबाट ठक्कर लागेर एक साइकल यात्रीलाई गभिर घाईते भएका छन् ।


सुचना तथा प्रसारण विभाग: ९७८–२०७५/७६

Copyright © 2013 / 2019 - Pradeshportal.com All rights reserved

प्रेस काउन्सिल नेपाल: २४६–२०७५/७६