मैथिली साहित्यक अर्निश सेवा आ सृजन हेतु श्री जगदीश प्रसाद मण्डलकेँ आइ ‘राजकमल चौधरी साहित्य सम्मान

  • प्रकाशित मितिः जेठ १९, २०७९
  • मधेश स्पेशल
  • 553 पटक पढिएको

पुनम मण्डल
भारत / मैथिली साहित्यक अर्निश सेवा आ सृजन हेतु श्री जगदीश प्रसाद मण्डलकेँ आइ ‘राजकमल चौधरी साहित्य सम्मान- 2020’ प्रदान कएल गेलैन। ओना, उक्त सम्मानक घोषणा पूर्वहिमे भऽ चुकल छल आ सम्मान समाहरोह 07 मार्च 2021क रविदिन आई.टी.ए. सेन्टर, माछखोवा, गुवाहाटीमे आयोजित सेहो भेल छल। ओइ समय कोरोनाकाल चलि रहल छल जइ कारणेँ प्रतिभागी भाग नहि लऽ सकल छला।
 
मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति, गुवाहाटी- असम द्वारा ई सम्मान सभ साल एक साहित्यकारकेँ प्रदान कएल जाइत अछि। तात्कालिक अध्यक्ष श्री प्रेमकान्त चौधरी निर्णय लेलैन जे मौका पाबि हम निर्मलीए आबि जगदीश बाबूकेँ सम्मानित करबैन। हलॉंकि मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समितिक वर्तमान अध्यक्ष श्री सत्य नारायण साहुजी छैथ। आइ ओ दिन आएल जे दुनू महानुभाव हमरा घरपर (निर्मली आवासपर) आबि श्री मण्डलजीकेँ सम्मानित केलकैन अछि। अवसरिपर स्थानीय साहित्यप्रेमी एवं साहित्यकार श्री राजदेव मण्डल, प्रो. धीरेन्द्र कुमार, श्री राम विलास साहु, श्री अच्छेलाल शास्त्री, श्री दुर्गानन्द मण्डल, श्री विनोद कुमार, श्री नारायण प्रसाद सिंह, श्री मनीष जालान, श्री नवरत्न वेंगानी, श्री गुरुदयाल भ्रमर, श्री देवकान्त यादव, श्री रामप्रवेश मण्डल आदि उपस्थिति भऽ समारोहक गरिमाकेँ बढ़ेबामे सहयोग प्रदान केलैन। संगहि स्थानीय पत्रकार बन्धु ‘दैनिक भाष्कर’क श्री राम सागर साहु, ‘हिन्दुस्तान’क मो. इमामुद्दिन, ‘प्रभात खबर’क श्री भागवत कुमार आ यू-ट्यूब न्यूज चैनल’क श्री बादल कुमारजी सेहो अपन उपस्थिति ससमय प्रदान केलैन। 
5 लोग और लोग खड़े हैं की फ़ोटो हो सकती है
 
श्री जगदीश प्रसाद मण्डलजी उक्त पुरस्कार/सम्मानक अलावे आरो-आर पुरस्कार/सम्मानसँ समय-समयपर सम्मानित/पुरस्कृत होइत रहला अछि जेना, यथा- विदेह सम्पादक मण्डल द्वारा ‘गामक जिनगी’ लघु कथा संग्रह लेल ‘विदेह सम्मान- 2011’, ‘नै धारैए’ उपन्यास लेल ‘विदेह बाल साहित्य पुरस्कार- 2014-15’, ‘गामक जिनगी व समग्र योगदान हेतु साहित्य अकादेमी द्वारा- ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड- 2011’, मिथिला मैथिलीक उन्नयन लेल साक्षर दरभंगा द्वारा- ‘वैदेह सम्मान- 2012’, मिथिला-मैथिलीक विकास लेल सतत क्रियाशील रहबाक हेतु अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा- ‘वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ सम्मान- 2016’, रचना धर्मिताक क्षेत्रमे अमूल्य योगदान हेतु ज्योत्स्ना-मण्डल द्वारा- ‘कौमुदी सम्मान- 2017’, मैथिली साहित्यमे समग्र योदान लेल एस.एन.एस. ग्लोबल सेमिनरी द्वारा ‘कौशिकी साहित्य सम्मान- 2015’, आ मिथिला-मैथिलीक संग अन्य उत्कृष्ट सेवा लेल अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा ‘स्व. बाबू साहेव चौधरी सम्मान- 2018’, चेतना समिति- पटनासँ ‘यात्री चेतन पुरस्कार- 2020’ तथा ‘पंगु’ उपन्यास लेल साहित्य अकादेमी- 2021

प्रतिक्रिया दिनुहोस

सम्बन्धित शीर्षकहरु

सम्पूर्ण समाचार

धनगढीको गोठमा आँखा शिविर सम्पन्न

रोयाण्टर मण्डल लहान / धनगढीमाई नगरपालिकामा निःशुल्क आँखा शिविर सम्पन्न भएको छ ।   विर युवा कलब फुलकहाकट�

धनगढीको गोठमा आँखा शिविर सम्पन्न

रोयाण्टर मण्डल लहान / धनगढीमाई नगरपालिकामा निःशुल्क आँखा शिविर सम्पन्न भएको छ ।   विर युवा कलब फुलकहाकट�

लहानमा पनि नवौंँ उद्योग दिवस मनाइयो

रोयाण्टर मण्डललहान / स्वदेशी उत्पादन अभियान , उद्यमीको सम्मान भन्ने मूल नाराका साथ घरेलु तथा साना उद्योग क

सुचना तथा प्रसारण विभाग: ९७८–२०७५/७६

Copyright © 2013 / 2023 - Madheshspecial.com All rights reserved

प्रेस काउन्सिल नेपाल: २४६–२०७५/७६